रोग (कथा) — अजित आजाद

— ‘चान पर घर बनतै। घर मे लोक रहतै। लोक मुदा कतय सँ आओत? कोना केँ आओत?’ मिसरजी चिन्ता मे। यादवजी चिन्ता मे। खान साहेब सेहो चिन्ता मे। तीनू वैज्ञानिक चिन्ता मे।

यादवजी मौन तोड़लनि। कहलनि- ‘लोक आओत धरती सँ। जेना हमसभ अएलहुँ।’

खान साहेब केँ सेहो फुरेलनि। कहलनि— ‘लोक आओत यान सँ। जेना हम सभ अएलहुँ।’

मिसरजी मे कोनो हलचल नहि। हुनक चिन्ता नहि कमलनि।

खान साहेब अचरज मे। यादवजी सेहो अचरज मे। दुनू संगे बजलाह— ‘मिसरजी?’

मिसरजीक भक् टुटलनि। बजलाह— ‘से तँ बुझलहुँ। मुदा पहिने के आओत? के सभ आओत? के बिन परिवारक आओत? के हित-महिम संग आओत?’

खान साहेब फेरी मे। यादवजी सेहो फेरी मे। मिसरजीक कहब उचित! पहिने के आओत? ककर परिवार आओत? आओत कि नहि आओत? एकर समाधान की?

एक बेर फेर मौन। तीनू कात तकैत। समाधान तकबा मे अपस्याँत।

कात मे चन्द्रयान ठाढ़ छल। यान-तिरंगा सन छल। तीन रंगक। लाल, उज्जर आ’ हरियर। तीनू रंग तीन खाढ़ी मे। बीचला खाड़ी मे चक्र। जे देखत से कहत,यान भारतक थिक। एहि पर तिरंगा बनल छैक। मुदा तीनू वैज्ञानिक अलग। हिनका सभक पोशाक सफेद। जेबी लग तिरंगा बनल। माथ पर टोपा। टोपा सँ तीनूक नाक झँपाएल। तीनूक कान झँपाएल। तीनूक मुह झँपाएल। तखन कोना गप्प करै जाथि! तखन कोना गप्प सुनै जाथि। मुदा तीनू गप्प करैत। तीनू एक-दोसरक गप्प सुनैत। टोपा मे मशाीन जे लागल रहैक।

तीनू धरतीक लोक रहथि। मुदा एखन चान पर रहथि। एतय खोज करबाक रहनि। मुदा खोज कोना करितथि? संकट जे आबि गेलनि। विचारक संकट? पहिने के आओत? जँ आओत तँ कोना आओत? परिवारक संग आओत कि एसकरे? भारी अवग्रह मे।

यादवजीक माथ टनकय लगलनि। ओ चाह पीबय चाहलनि। बजलाह— ‘मिसरजी चाह पीब?’

मिसरजी चहक्कर छलाह, कोना नहि पीबतथि? बजलाह— ‘हँ पीब, मुदा चाह हैत तखन ने?’

यादवजी उठलाह। यान पर सँ थरमस अनलनि। खोलि केँ देखलनि,चाह रहैक। बजलाह— ‘खान साहेब अहूँ लेब?’

खान साहेबक मूड़ी हीलल— ‘नहि।’ हुनका चॉकलेट खेबाक रहनि। ओ जेबी मे हाथ देलनि। जेबी मे बहुत रास रहनि। तीनटा लेलनि। एकटा मिसरजी लेल, एकटा यादवजी लेल आ’ एकटा अपना लेल। ओ मिसरजी दिस तकलनि। मिसरजी हाथ मे कप रहनि। ओ यादवजी दिस तकलनि। हुनको हाथ मे कप। खान साहेब कहलनि- ‘वाह ! तीनू हमरे भाग मे।’ आ’ गप सँ मुह मे ध’ लेलनि।

चाह खतम भए गेलनि। चिन्ता खतम नहि भेलनि। चॉकलेट सेहो खतम। मुदा चिन्ता अनामति। के आओत पहिने? की ओ एसकरे आओत? की ओ परिवारक संग आओत? ओह! तीनू फेर गुमसुम। तीनूक फेर तीन दिशा मे टकटकी। कि एकाएक मिसरजी बजलाह— ‘भेटल।’ दूनू गोटे— ‘कहू-कहू, की भेटल समाधान?’

मिसरजी बजलाह— ‘चान पर घर बनतै?’

दूनू— ‘हँ, बनतै।’

— ‘घर मे लोक रहतै?’

— ‘हँ रहतै।’

— ‘लोक अओतै धरती सँ?’

— ‘हँ, धरती सँ।’

मिसरजीक आँखि मे चमकी। हुनक ठोर पर मुसकी। ओ बजलाह—‘बेसी ऐल-फैल कत’?’

यादवजी बजलाह— ‘एत्तहि।’

खान साहेब बजला—‘एत्तहि।’

— ‘तखन अपनो सब एत्तहि। पहिने अपने सभ आएब। अपने सभक परिवार आओत। हित-महिम आओत। केहन विचार? कहू केहन विचार?’

यादवजी कहलनि— ‘नीक विचार।’ खान साहेब मुदा चुप्प। हुनक कहब तेसरे छल— ‘अपने सभ पहिने किएक? पहिने आने किएक ने? ई तँ लोभ भेल। लोभ पापक कारण थिक। हम पाप नहि करब। अहूँ सभ नहि करू।’

यादवजी कहलनि— ‘वाह! नीक विचार।’

मिसरजी कहलनि— ‘बड बढि़याँ । हमहूँ सहमत छी। मुदा…।’

—‘मुदा की?’ खान साहेब चौंकलाह।

— ‘तखन झगड़ा लगले रहत। सभ कहत, हमहीं पहिने। तेँ पहिने अपने सब। बुझलहुँ कि ने।’

‘मिसरजीक कहब उचित’ — यादवजी बजलाह। ‘अहूँ मानि जाउ खान। एहि सँ नीक समाधान नहि। मिसरजी सूची बनाउ।’

— ‘मुदा सरकार मानत?’ खान साहेब पुछलनि।

— ‘मानत किएक ने? किओ तँ रहबे करत। तखन हमहीं किएक ने? हम सभ वैज्ञानिक छी। खोजी दल छी। एतय पानि तकलहुँ। हवा तकलहुँ। जीवन तकलहुँ। मेहनति लागल अछि। घाम बहेलहुँ अछि। एकर इनाम भेटक चाही।’

‘हँ, हँ, इनाम भेटक चाही’— यादवजी गुम्हरलाह।

— ‘अवश्य भेटक चाही इनाम। मुदा पुरा-पूरी चान नहि। चान अपने सभक नहि। एहि पर अनकरो अधिकार छैक’- खान साहेब तामसमे रहथि।

‘एकदम अनसोहांत नहि। एहि पर सभक अधिकार छै’— यादवजी सहमति देलनि।

मिसरजीकेँ तामस उठलनि। — ‘अहूँ ने यादव जी! लगले एमहर, लगले ओमहर। कोनो एक कात रहू।’

— ‘हम खान साहेब दिस रहब। चान पर सभक अधिकार।’

— ‘ठीक छै। रहू हिनके पाटी मे। सभदिन तँ रहलहुँ धरती पर। आसमान किएक नीक लागत ! भीड़ मे रहबाक आदति अछि। ऐल-फैल सँ किएक रहब? हुँह।’ मिसरजी हकमय लगलाह।

यादवजी सोच मे पडि़ गेलाह। मिसरजी कहै तँ छथि ठीके। धरती पर जगह कम। ताहू मे हवा दूषित। पानि दूषित। एतय सभ किछु साफ। कोनहु हड़हड़-खटखट नहि।

एमहर यादवजी सोच मे। ओमहर मिसरजी सोच मे। खान साहेब सेहो सोच मे। एकाएक ओ हँसय लगलाह। यादव जी सेहो हँसय लगलाह। बजलाह— ‘किएक हँसलहुँ खान साहब?’

— ‘मिसरजीक बात पर। हिनकर बात मे दम छनि। चलू, हमहूँ सहमत छी। चलू सपरिवार एतहि आबी। मुदा एकटा बात…!’ — ‘की बात?’ मिसरजी, यादवजी दूनू चकित।

— ‘अहाँ दूनू गोटे हिन्दू। हम मुसलमान। तीन कूड़ी नहि लागत। हिस्सा लेब आधा-आधा।’

मिसरजी ताम से माहुर। बजलाह— ‘ई नहि चलत।’

यादवजी कोना चुप रहितथि। कहलनि— ‘एकदम नहि चलत। अहाँ सीनियर छी। अहाँ जे कहब मानब। मुदा ई बात नहि। बखरा हैत तीन ठाम। तीन मे एक हीस हमर।’

‘से नहि हैत। एकदम नहि हैत’ — खान साहेब फनैत कहलनि। ‘हमरा चाही आधा चान।’

मिसरजी तामसे भेर। ओ किछु बजितथि। मुदा तखने…। एकटा आवाज गूँजल ‘थम्हू। झगड़ा नहि करू!’

तीनू वैज्ञानिक चौंकलाह। ई के बाजल? एतय ई चारिम के? एकरा बखरा नहि देबैक।

— ‘हम चान छी। धरती माताक उपग्रह।’

सभ चारूभर तकलनि। कतहु केओे नहि।

सभ अवाक्। एना मे की बाजत लोक !

आवाज फेर गूजल— ‘अहाँ सभक स्वागत अछि। एतय अबै जाउ। घर बनबै जाउ। मुदा जाति-पातिक संग नहि। अहाँ सभ धरती बँटलहुँ। भगवान बँटलहुँ। आब चान बाँटब। मुदा चान नहि बाँटय देब।’

तीनूक माथ अवनत। तीनूक आँखि मे पानि।

पहिने मिसरजी बजलाह- ‘हम मिसरजी नहि।’

तखन यादवजी बजलाह- ‘हम यादवजी नहि।’

अन्त मे खान साहेब बजलाह- ‘हम खान साहेब नहि।’

तीनू संग-संग बजलाह- ‘हम सभ हिन्दू नहि छी।

हम सभ मुसलमान नहि छी हम सभ मनुष्य छी, इनसान छी।’

चान हँसय लागल। तीनूक संग नाचय लागल।

एकर किछुए दिनक बाद। चान पर लोक गेल। हेंजक-हेंज लोक गेल। मुदा…। धरतीक रोग नहि गेल। एकहुटा रोग नहि गेल।

मैथिली मे बहुत कम कवि छथि जिनका मादे कहि सकैत छी जे ओ ‘मैथिलीक कवि’ छथि। एखन मैथिली मे चुट्टा सँ शब्द पकड़ि कविता मे सन्हिया क’ एकटा अनावश्यक प्रभाव उत्पन्न करबाक चलनिसारि उफान पर अछि। दिनानुदिन चमत्कृत करबाक प्रयास करय बला कविक सभक लिस्ट बेस नमहर भेल जा रहल अछि। शब्दजाल गढ़बाक हिस्सक बढ़ल अछि। पुरखा सब जाहि वस्तु केँ दुरूह सँ सरल बनओने रहथि तकरा पुनः दुरूह बनेबाक बाट ध’ रहलाह अछि कवि लोकनि। कोनो शब्द मे बिनु भिजने ओकरा प्रयोग क’ लेबाक साहस बढ़ि रहलैक अछि। एहना सन परिस्थिति मे श्री आजादक कविता एकटा भरोस दैत अछि। ‘चेतना’क स्तर पर श्री आज़ाद बहुत मारुक कवि छथि। छोट-छोट बात केँ अपन चेतना आ  पाठकक चिंतनक उच्च स्तर पर ठाढ़ करब हिनकर विशेष गुण छनि। लगभग 20 टा पोथी प्रकाशित छनि। कविता पढ़ि इच्छा भेला उत्तर +91-9304349384 पर कवि केँ नीक-बेजायक जनतब देल जा सकैत छनि।